शिव केर महिमा के नै जनैत अछि - नचारी शिव केर महिमा के नै जनैत अछि सबहक मनोरथ पूरा करैत अछि दिन राति भोला पीबैत भांग छथि हुनकर चरणकेँ के नै गहैत अछि पति ओ उमाकेँ सबहक पतित हरन भोला हमर सबकेँ दुख हरैत अछि बसहा सवारी बघछाल अंगपर शमशानमे रहि दुनियाँ हँकैत अछि नै मूँगबा खाजा चाहिएनि जल ‘भीष्म’ आक धथुरसँ हिनका पबैत अछि
मैया मैया मैया बाजू करेजा अपन खोलि कए - भगवती गीत मैया मैया मैया बाजू करेजा अपन खोलि कए छन्नेमे मैया सबटा देखती आँखि अपन खोलि कए तनसँ तँ बहुत जपलहुँ नाम मैयाकेँ दिन राति आबू कनी जपै छी मनसँ आइ छी जगराताकेँ राति नअ पूजा नबो मैयाक ई तँ नअ महिनाक कर्ज अछि एकरा उतारि सकब जीवन भरि ई तँ मनक भर्म अछि पहिल मैया जगजननी दोसर हमरा जे जन्म देलनि सुख सबटा हमरा दए दुख अपन आँचरमे लेलनि अपन जननीकेँ जँ दए पेलहुँ रत्तीयो भरि जीवनमे सुख जगजननी मैया लए लेथिन जीवनक हमर सबटा दुख चाहै छी जँ भक्ति आ…
Social Plugin