गाम'क क्रिकेट

फेकना काल्हि टी.भी पर क्रीकेट देखैत रहै। कनिकबे काल देखलकै आ की टी.भी बन्न कॅ देलकै।
हम पुछलियै की भॅ गेलौ, कत्ते सान के मैच चलै छै, तु #बुरबक जकाँ टी.भी कियैक बन्न कॅ देलही।
फेकना कहलक-

#फेकना-ईहो कोनो खेलबाक तरीका छै, ई अम्पायर छै आ की भगवान,  जे कहै छै सब प्लेयर बिना कोनो प्रतिवादे के मानि लै छै।
खेल तॅ हमरा जमना में, हम सब गाम पर खेलै छलहुँ। सार ई अम्पायर'क गप्प ओनाहि मानि लैबै।
हम तॅ सोझे कहै छलियै -

"रौ बहिं हम कोना आउट भॅ गेलियौ रौ, खो अपन मैए के सप्पत तहने हम बैट छोरबौ"।

आ जॅ ओ सप्पत खा लै छलै त कहै छलियै -

"रौ बहिं अहि सार के अम्पायरि कैले नै होइ छै आ बनै छथि अम्पायरक बाप। सार झुठ बजलॅ ने तॅ मारि कॅ मुँहे थकुचि देब। जो बहिं अम्पायरक सार करैत रह अम्पायरि,  हे हम अपन बैट लेलियौ आ चललियौ"।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ